राजविराज आ बोदेबरसाइनमे कर्फ्यू हटाएल गेल, निषेधाज्ञा जारी

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

राजविराज

सप्तरी जिला प्रशासन कार्यालय राजविराज नगरपालिका आ बोदेबरसाइन नगरपालिकामे कर्फ्यू हटाैलक अइछ, तँ निषेधाज्ञा जारी रहल जनाैलक अइछ । प्रमुख जिला अधिकारी श्याम कृष्ण थापाद्वारा जारी सूचनाअनुसार जिला सुरक्षा समितिके आजुक बैसारसँ उक्त स्थानमे निषेधाज्ञा जारी करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

दूनु नगरपालिकामे पाँच गोटेसँ बेसी व्यक्ति भेला हएब, सभा, जुलुस, धर्ना तथा प्रदर्शन नै करैजका दोसर आदेश नै भेलाधैर निषेधाज्ञा लागू कएल गेल जनाओल गेल अइछ । स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (३क) बमोजिम जारी कएल गेल निषेधाज्ञा उल्लङ्घन नै करबाक लेल प्रशासन सर्वसाधारणकेँ आग्रह केलक अइछ । सूचनाअनुसार राजविराज नगरपालिकामे पूर्वदिस खाँडो नदी, पश्चिमदिस हुलाकी राजमार्गके जमुनी थलही, उत्तरदिस रुपनी रोडके बसबिट्टी चौक आ दक्षिणदिस कोशी पश्चिम मूल नहरधैर क्षेत्र निषेधाज्ञा क्षेत्र निर्धारण कएल गेल अइछ ।

तहिना, बोदेबरसाइन नगरपालिकामे पूर्वदिस हुलाकी राजमार्गके खडक पुल, पश्चिमदिस प्रितमपुर चौक, उत्तरदिस नेगडा चौक आ दक्षिणदिस मानराजा चौकधैर क्षेत्रमे निषेधाज्ञा लागू कएल गेल अइछ । जिला प्रशासन कार्यालय जिलामे शान्ति, सुरक्षा आ सामाजिक सद्भाव कायम राखै लेल सर्वसाधारणकेँ संयमित रहए तथा प्रशासनके निर्णयमे सहयोग करबाक लेल आग्रह करैत दोसर आदेश जारी नै भेलाधैर निषेधाज्ञा कायम रहबाक उल्लेख अइछ । (रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...