आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
गृहमन्त्री सुधन गुरुङ सिरहाके गोलबजारमे गोली लाइग क मृत्यु भेल गणेश यादवके परिवारसँ आठबिन्दुमे सहमति भेल बताैलैन अइछ । लहानमे जिला सुरक्षा समितिके बैसारके बाद बितल राइत गृहमन्त्री गुरुङ यादवके घर सिरहाके औरही गाउँपालिकाके तुलसीयाही पहुँचल छल ।
मृतक यादवके माएबाबू तथा परिजनसँ भेल अइ बातचितमे आठबिन्दुमे सहमति भेल गृहमन्त्री बतौलैन । मृतक परिवारके माँग घटनाके निष्पक्ष खोजबिन, दोषीकेँ कारबाही, क्षतिपूर्ति उपलब्ध करेबाक, मृतक परिवारके सदस्यकेँ निःशुल्क शिक्षाके सुनिश्चितता सहित माँगमे सहमति भेल गृहमन्त्री गुरुङ जानकारी देलैन ।
अइ बाहेक सरकारक दिससँ मृतक बाबु आ माएके निःशुल्क इलाज, परिवारक सदस्यकेँ रोजगारीके सुनिश्चितता कएल जेबाक सहमति भेल ओ बतौलैन । गोलबजार घटनाके खोजबिनमे कोनो कमजोरी नै होबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करैत गृहमन्त्री गुरुङ घटनामे दोषीकेँ कारबाही कएल जेबाक बतौलैन । सुनसरीके देवानगञ्जमे भेल घटनाके विरोधमे गोलबजारमे प्रदर्शन क रहल समय इएह साओन १४ गते गोली लाइग क गणेश यादवके मृत्यु भेल अइछ । रासस
