विवाहके मांग करैत टेलिकमके टावरपर चढ़ल युवकके सकुशल उद्धार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

सर्लाही

सर्लाहीके मलंगवामे नेपाल टेलिकमके करिब ८० मिटर उच टावर पर चढ़ल एक युवकके परिवार आ पुलिसके सक्रिय पहलसे सकुशल नीचाँ उतारल गेल अईछ।

सर्लाही जिल्लाके गोडैता नगरपालिका–९, बकैनियाके २४ वर्षीय अफसर आलम हुसैन आई शुबह टावर पर चढ़ल छल। घटनाक जानकारी भेटते जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीेसे खटल पुलिस टोली उनका परिवारके सदस्य सबके बबजाके सबलोग जोरे मिलके युवककेँ बहुत देर तकल सम्झा–बुझा के मनाबेके प्रयास कईलक।

पुलिस संगके संवादके बाद उनकर माय–बाप घटनास्थल पर पहुँचल छलै। परिवारके आग्रह आ आश्वासनके बाद हुसैन स्वयं सुरक्षित रूपसे टावरसे नीचाँ उतरके अईल छल।

उद्धारके बाद उनका स्वास्थ्य अवस्थाके परीक्षणके लेल प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा पठाईल गेल, जानकारी पुलिस देने अईछ। स्वास्थ्य परीक्षणक बाद उनकर अवस्था सामान्य रहल बताईल गेल अईछ।

पुलिसके प्रारम्भिक अनुसन्धान अनुसार हुसैन स्थानीय एक युवतीसे विवाह करा देबाके मांग करैत टावर पर चढ़ल छल। हुसैन सर्लाही क्याम्पस मलंगवामे स्नातक तहक विद्यार्थी छथ।

घटनाके संबंधमे थप अनुसन्धान भे रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही जनैने अईछ।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...