कटहरिया नगरपालिकामे फिनु तालाबन्दी

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

रौतहट

रौतहट जिलाक कटहरिया नगरपालिकामे कार्यरत करार आ दैनिक ज्यालादारी कर्मचारीसभ फेरसँ आन्दोलनमे उतर गेल अछि। बहुत दिन सँ वेतन आ सेवा–सुविधा नहि पाओल जाएबाक कारणें बुध दिन सँ नगरपालिकाक मुख्य कार्यालय आ वार्ड नं. १ सँ ९ धरि सभ वॉर्ड कार्यालयमे पुनः तालाबन्दी कएल गेल अछि।

एहिसँ पहिले सेहो कर्मचारीसभ एहि समान माग केँ ल’ क’ दीपावली आ छठ पर्वक आगु तालाबन्दी कएने छल। तखन नगर प्रमुख अजय प्रकाश जयसवाल कहलनि जे छठ भितरहि सभ के वेतन भुक्तानी भ’ जायत, तें आन्दोलन स्थगित कएल गेल छल। मुदा, छठ सम्पन्न भएल गेलाक बादो माग पूरा नहि भएबाक कारण ओ लोकनि फेरसँ सडक आ कार्यालय बन्द करबाक बाट पकड़ने छथि।

कर्मचारीसभक कहब अछि जे नगर प्रमुख जयसवाल आ प्रमुख प्रशासनिक अधिकृत गणेश नेपाली बारम्बार मौखिक आ लिखित आश्वासन देलनि, मुदा व्यवहारमे कोनो ठोस कदम नहि उठाओल गेल। “हमसभ केँ फेरसँ ठगबाक प्रयास भ’ रहल अछि,” वार्ड नं. ८ क’ कर्मचारी मुकुन्द यादव कहलनि, “सभ वॉर्डक कर्मचारीसभ एकजुट भ’ क’ तालाबन्दी कएने छी आ कार्यालयक चाबी अपने जिम्मामे रखने छी।”

सेहि तरहें, वार्ड नं. १ क’ करार कर्मचारी मुकेश कुशवाह कहलनि जे जब तक माग पूरा नहि हएत, आन्दोलन निरन्तर रहत। हुनकर कहब अछि, “हमसभ सँ महीनामे काम लेल जाए रहल अछि मुदा वेतन नहि देल जाए रहल अछि, आब आश्वासनपर विश्वास नहि कएल जाए सकैत अछि।”

नगर प्रमुख अजय प्रकाश जयसवाल किछु दिन पहिले सामाजिक संजालमार्फत वीडियो संदेश जारी कएक कहलनि जे दिवाली सँ पहिने करार कर्मचारीसभक समस्या समाधान भ’ जायत। हुनकर कहलनि जे “कर्मचारीसभ आवश्यक कागज जमा करैते वेतन वितरणक प्रक्रिया सुरु भ’ जायत।” मुदा, ओ प्रक्रिया अखनी धरि आगू नहि बढ़ल, जेकर कारण असंतोष आओर बढ़ि गेल अछि।

योजना शाखाक प्रमुख रामनरेश यादव कहलनि जे प्रमुख प्रशासनिक अधिकृत गणेश नेपाली सँ फोन पर बातचीत भएल अछि आ आगामी तीन दिनक भीतर सम्पूर्ण प्रक्रिया पूरा क’ वेतन पठाओल जायत। मुदा आन्दोलनरत कर्मचारीसभक कहब अछि जे एहन वाचा आ समयसीमा पर आब विश्वास करब मुश्किल भ’ गेल अछि।

कर्मचारीसभ आन्दोलन जारी राखैत नगर प्रशासन केँ चेतावनी देलनि — “आश्वासनक खेल आब बन्द होअ, हमर श्रमक मूल्य तुरन्त दिओ।”

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...