लहनमे दुकान चोरीक आरोप पर महिला के मृत्यु, कुटमरमे संलग्न ४ गोटे पकड़ायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सिरहा
सिरहा जिलाक लहन नगरपालिका–५, खुट्टीधार लग मे पड़यल पर्तीटोलमे दुकानक समान चोरी भेल विवाद दुखद रूप लेलक आ एक महिला के जान गेलक अछि।
आई शुबह दुकान चोरीक आरोपक कारण भेल झगड़ामे स्थानीय मो. सदिक मियाँक ५० बर्खक पत्नी नुरजहाँ खातून केँ मारपिट केल गेल, जाहिसँ हुनक मृत्यु भ गेल। स्थानीय लोकनिक कहब अछि जे चोरीक बशानाक भेल विवाद झगड़ामे बदलि गेल आ आरोपित परिवारक सदस्य लोकनि सामूहिक रूप सँ हुनक बेरहमी सँ पिटलक।
घायल नुरजहाँ केँ स्थानीय लोकनि तुरन्त बचा कऽ लहनस्थित रामकुमार शारदा उमाप्रसाद मुरारका प्रादेशिक अस्पताल लए गेल रहथिन, मुदा चिकित्सक लोकनि हुनका मृत घोषित कएलथिन।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक प्रवक्ता, प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेशबहादुर पालक अनुसार, घटनामे संलग्न तीन महिला समेत चार गोटे केँ नियन्त्रणमे लिअल गेल अछि। हुनक कहब अछि — “मृतकक शव परीक्षणक लेल धरानस्थित बीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान पठायल गेल अछि।”
स्थानीय लोकनिक अनुसार, मृतक खातून खुट्टीधार किनारमे छठ घाट लगमे किराना दुकान चलबैत रहथिन। शनिचर शुबह एक युवक दुकान सँ सामान चोरलक कहि हुनक दादाजी स सुन देलथिन। तहिसँ युवकक परिवारक सदस्य लोकनि “हमर पोताकेँ चोर कहलौ?” कहिक बेरहमी सँ मारपिट केलथिन।
प्रहरीक कहब अछि जे घटनाक विस्तृत अनुसन्धान सुरु भऽ गेल अछि आ पिटमारमे आन लोकनिक संलग्नता सेहो भऽ सकैत अछि, एहिपरि अनुसन्धान आगू बढ़ैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।