महोत्तरीक गौशालामे एक युवकक लाश भेटल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास, महोत्तरी
महोत्तरी जिला अन्तर्गत गौशाला नगरपालिका–५, मछली बजार क्षेत्रमे शनिचर शुबह एक युवकक लाश भेटल अछि। स्थानीय लोकनि लाश देखला पश्चात प्रहरीके जानकारी देलथिन।
इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालाक इञ्चार्ज प्रहरी निरीक्षक रमेश लामाक अनुसार मृतक सर्लाही जिलाक हरिपुर्वा नगरपालिका–९, मिर्चिया निवासी २५ वर्षक रामानन्द बैठा छथि। घटनास्थल पर पहुँचल प्रहरी टोली मुचुल्का उठैनेबाक बाद लाशके पोस्टमार्टम लेल प्रादेशिक अस्पताल जलेश्वर पठौने अछि।
स्थानीय लोकनिक कहल अनुसार बैठा पछिला तीन–चार बरखसँ गौशालास्थित विभिन्न होटलमे काज कएत अपन गुजर–बसर कए रहल छलाह। किछु दिनसँ ओ स्वास्थ्य समस्या सँ पीडÞित रहलथिन आबुखारसे सेहो ग्रस्त छलाह।
प्रहरीक प्रारम्भिक अनुमानक अनुसार अत्यधिक मादक पदार्थ सेवनक कारण हुनक मृत्यु भ’ सकैत अछि। तथापि, मृत्यु के वास्तविक कारण पोस्टमार्टम रिपोर्ट आबैके बादे पुष्टि भ’ सकत, प्रहरी कहल अछि।
वर्तमानमे इलाका प्रहरी कार्यालय गौशाला घटनासम्बंधी आगू अनुसन्धान कए रहल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।