धनुषाक जेनजी युवासभ आजपामे प्रवेश

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
धनुषा
धनुषा जिलाक सबैला नगरपालिका–९ कुशमाहा गाममे दीपावली आ छठ पर्वक अवसर पर आयोजित विशेष कार्यक्रममे जेनजी आन्दोलन सँ जुड़ल युवासभ आज (शुक्रबार) आम जनता पार्टी (आजपा)मे औपचारिक रूप सँ प्रवेश कएलक।

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि आ आजपा अध्यक्ष, पूर्व मंत्री प्रभु साह अपन सम्बोधनमे नव प्रवेशकर्तासभ केँ पार्टीक सदस्यता दैत कहलनि जे देश आ जनताक सेवामे समर्पित भऽक काज करबाक आब आवश्यकता छै। ओ कहलनि –“आब आन्दोलनक जोश केँ संस्थागत रूप देबाक जरूरत छै। जेनजी युवासभ जे देश परिवर्तनक नारा देने छल, ओ आब जनसेवाक माध्यम सँ परिणाममे बदलबाक समय आय गेल छै।”
अध्यक्ष साह अपन भाषणमे आगू कहलनि जे अघिल्का सरकार जनताक आशा पूरा करयमे असफल रहल। ओ कहलनि जे सुशीला कार्की नेतृत्वक सरकार जेनजी आन्दोलनक हत्यारा आ भ्रष्टाचारी केँ कारवाई करबाक इच्छुक नहि रहल, जेकर कारण आन्दोलनक घाव आबो मलिन अछि। ओ कहलनि –जे वर्तमान सरकार सेहो ओ अपराधीसभ पर कारवाई नहि करैत तँ ओकरा एक मिनटो कुर्सीमे बैसबाक नैतिक अधिकार नहि छै। जनविद्रोह केवल सत्ताक अदलाबदली लेल नहि, न्याय आ परिवर्तन लेल भेल छल।”
ओहि अवसर पर जेनजी आन्दोलनक सक्रिय युवा आकाश मिश्रा, दिपेशकुमार साह, शैलोकुमारी साह, आशाकुमारी मण्डल, चन्दाकुमारी मण्डल आदिक युवायुवतीसभ आजपामे प्रवेश कएलक।

कार्यक्रमक संबंधमे जानकारी दैत आजपा सचिवालय सदस्य सुभाष साह कहलनि –“जेनजी पीढ़ी आब आजपाक नीतिसँ जुड कऽ प्रणालीगत सुधारक अभियानमे सहभागी हएत। युवाक ऊर्जाकेँ संस्थागत राजनीतिमे रूपांतरित करबाक ई प्रवेश ऐतिहासिक कदम छै।”
कार्यक्रममे स्थानीय बुद्धिजीवी, महिला समूह आ विभिन्न क्षेत्रक युवासभक उल्लेखनीय उपस्थिति छल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।