छठ पर्वक अवसर पर मधेस प्रदेश मे कात्तिक ११ गते अतिरिक्त सार्वजनिक बिदा

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
छठ पर्वक अंतिम दिन उदयमान सूर्य केँ अघ्र्य दैने परंपरा रहबाक कारणे मधेस प्रदेश सरकार कात्तिक ११ गते (मंगलबार) के दिन अतिरिक्त सार्वजनिक बिदा घोषित केलक अछि।

प्रदेश सरकारक गृह, सञ्चार आ कानून मन्त्रालय शुक्रवार केँ सूचना जारी करैत कहल गेल अछि जे ओहि दिन सम्पूर्ण प्रदेश मे सरकारी कार्यालय, शिक्षण संस्था आ सार्वजनिक निकाय सभ बंद रहत।

मन्त्रालयक उपसचिव गणेश नायक द्वारा जारी सूचनामें कहल गेल अछि —
“छठ पर्वक अंतिम दिन शुबह उदयमान सूर्य केँ अघ्र्य दैने धार्मिक परंपरा रहल अछि, ताहि कारणे भक्तजन सभक सहजताक लेल कात्तिक ११ गते सम्पूर्ण प्रदेश मे सार्वजनिक बिदा देबाक निर्णय कैल गेल अछि।”

एहि सँ पहिने संघीय सरकार छठक तेसर दिन अर्थात अस्तमान सूर्य केँ अघ्र्य दैने अवसर पर कात्तिक १० गते (सोमबार) देशभर सार्वजनिक बिदा घोषित कएने छल।

मधेस प्रदेश सरकार एहि सँ पहिने हि प्रदेश राजपत्र (वि.सं. २०८१ चैत २२ गते प्रकाशित) द्वारा व्यवस्था कैल छल जे छठ पर्वक अवसर पर आवश्यक भेलापर अतिरिक्त बिदा देल जा सकैत अछि। ओहि प्रावधानक आधार पर एहि वर्ष एक दिनक अतिरिक्त बिदा देल गेल अछि, मंत्रालय स्पष्ट कएलक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...