बर्दिवासक नगरप्रमुख क्षेत्रीद्वारा तीज, गणेश चतुर्थी आ ऋषि पंचमीक अवसर पर शुभकामना व्यक्त

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

आई भाद्र शुक्ल तृतीयाक दिन देशभर श्रद्धा–भक्तिसँग हरितालिका तीज पर्व मनायल जा रहल अछि। विशेष भऽक हिन्दू नारी सभ व्रत बईसक भगवान शिव आ पार्वतीक पूजा–अर्चना करैत छथि। एहि पर्वकेँ सौभाग्य, समृद्धि आ पारिवारिक सुख–शान्तिक लेल मानल जाएत अछि।

एहि अवसर पर बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री सम्पूर्ण नगरवासी हिन्दू नारीसभ केँ तीज, गणेश चतुर्थी (चउरचन) आ ऋषि पंचमी पर्वक हार्दिक शुभकामना देलईन। हुनका कहाबत अछि –
“तीज पर्व नारीसभक श्रद्धा, विश्वास आ सामाजिक एकताके आउर सबल करैत अछि। एहि सँ नगरभित्तर धार्मिक सद्भाव, आपसी समझदारी आ सांस्कृतिक विविधताक संरक्षण होइछ। गणेश चतुर्थी (चउरचन) आ ऋषि पंचमी जेकाँ धार्मिक पर्व सभ सेहो हमर सामाजिक आस्था, परम्परा आ पवित्र संस्कृतिकेँ बचबैत अछि। एहि पर्व सभसँ नगरमे सुख, शान्ति, समृद्धि आ आपसी सद्भावना फैलेत जाय, ईहे हमर हार्दिक शुभकामना अछि।”

आज शुबह सँ देशभरक शिवालय आ मन्दिरसभमे महिलासभक विशेष भीड़ देखल गेल अछि। महोत्तरीक बर्दिवास–५ स्थित टुटेश्वरनाथ महादेव मन्दिरमे शुबह सँ भक्तजनसभक बडका भीड़ रहल अछि, तऽ तराई सँ पहाड़ धरि शिवालयसभमे श्रद्धालुसभक उल्लेखनीय उपस्थिति अछि।

एहि दिन महिलासभ उपवास बैसक दिनभर शिव–पार्वतीक मूर्तिकेँ जल, दूध, बेलपत्र चढ़बैत छथि, तऽ रातिभर भक्ति गीत, भजन–कीर्तनमे सहभागी होइत छथि। विवाहित महिलासभ पतिक दीर्घायु आ परिवारक सुख–समृद्धिक लेल एहि पर्वकेँ मनबैत छथि, तऽ अविवाहित युवतीसभ मनपसिन्न वर भेटबाक कामना सँ शिव–पार्वतीक पूजा करैत छथि।

तीजक संगहि नारीसभ बीच आपसी भेटघाट, गीत–नृत्य आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक विशेष महत्त्व रहैत अछि। एहि अवसर पर महिलासँग सम्बद्ध विभिन्न सङ्घ–संस्थासभ बर्दिवास–१ स्थित मुख्य चौक आ बर्दिवास–३क खुला मंच पर विशेष सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजना केने अछि। एहि कार्यक्रमकेँ नारीक सामाजिक सम्बन्ध, सांस्कृतिक एकता आ धार्मिक आस्थाक मजबुतीक अवसरक रूपमे लिअल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...