बर्दिबासमेँ श्रद्धेय नेता स्व. प्रदीप गिरीक तेसर स्मृति दिवसमेँ श्रद्धाञ्जलि

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास,
नेपाली कांग्रेसक श्रद्धेय नेता आ समाजवादी चिन्तन रखेवला नेता स्वर्गीय प्रदीप गिरीक तेसर स्मृति दिवसक अवसर पर बर्दिबासमेँ बिहीबार श्रद्धाञ्जलि कार्यक्रम सम्पन्न भेल।

नेपाली कांग्रेस नगरकार्य समितिक आयोजनामेँ भेल कार्यक्रममेँ पार्टीक महासमिति सदस्य चिरञ्जीवी हमाल गिरीक जीवन–दर्शन, समाजवादी आन्दोलनमेँ योगदान आ हुनकर आदर्श विषयमेँ मन्तव्य राखैत गहिर श्रद्धाञ्जलि अर्पण केलथिन।

कार्यक्रममेँ बर्दिबास नगरपालिकाक नगर प्रमुख आ नेपाली कांग्रेस महासमिति सदस्य प्रह्लाद कुमार क्षेत्री, क्षेत्रीय सदस्य महेश कुमार झा समेत विभिन्न तहमेँ जिम्मेवारी संभनेल कांग्रेसक नेता आ कार्यकर्ताक उपस्थिति छल।

कार्यक्रममेँ बोलनिहार वक्तासब स्व. गिरीद्वारा नेपाली समाजमेँ समाजवादी दृष्टिकोण, उनकर सादगीपूर्ण जीवनशैली आ विचारकेँ स्मरण करैत वर्तमान पीढ़ीकेँ उनकर आदर्श सँ प्रेरणा लेबाक आवश्यकता पर जोड़ देने रहलथिन।

नेपाली कांग्रेस बर्दिबास नगर समितिक सभापति युवराज पोखरेल कहलनि जे कार्यक्रमक उद्देश्य स्व. गिरीक विचारकेँ जीवन्त राखैत आगाँमिक दिनमेँ समाज आ राजनीति केँ मार्गदर्शन करबा योग्य प्रेरणा प्रदान करब छला।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...