आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिकाक भीतरक वडा नंबर १२ आ १३ जोड़ै बला सडक तथा वडा नंबर ७ आ ९ जोड़ै बला सडकक मरम्मत आ स्तरोन्नति (ग्रेवल) कयल जेबाक अछि। बरसातिक मौसममे सड़कमे गहिर गड्ढा बनि जेकरे कारण पानी जमा भऽ जाइत छल, जाहिसँ स्थानीय लोकनिक पैदल चलय आ सवारी साधन चलयमे बहुत समस्या होइत छल।
एकर संबंधमे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री स्वयं सड़कक निरीक्षण कऽ कऽ तुरन्ते सड़क स्तरोन्नतिक निर्देश देलनि, जकर जानकारी नगरपालिकाक प्राविधिक शनी चौधरी देलनि। नगर प्रमुखक निर्देशक अनुसार ओहि सड़क सभमे जल्दिए मरम्मत आ ग्रेवलिंग कयल जाएत, जाहिसँ बरसातिक मौसममे पानी जमयवाला समस्या खत्म भऽ जाएत आ स्थानीय लोकनिक सुगम यात्रा सुनिश्चित होयत।
बर्दिवास नगरपालिका सड़क मरम्मत आ सुधारक माध्यमसँ स्थानीय जनता केर दैनिक आवागमनमे अबैत असुविधा दूर करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केने अछि।





































