आज्ञा खबर
काठमांडू
नेपाल इन्भेष्टमेन्ट मेगा बैंक (एनआइएमबी) खिलाफ नेपाल भ्यालुयर्स एसोसिएशन (एनभिए) द्वारा शुरू भेल आन्दोलनक समर्थन में विभिन्न १४ टा संस्थाएक अपन समर्थन देने छथि।
सम्पत्ति मूल्याङ्कनकर्ता इन्जिनियर सभके विभिन्न बहानासँ सताओल जाएबाक आरोप में भ्यालुयर्स एसोसिएशन चरणबद्ध आन्दोलन में उतरल अछि। एहि आन्दोलन में नेपाल इन्जिनियर्स एसोसिएशन, सोसाइटी अफ कन्सल्टिङ आर्किटेक्ट एण्ड इन्जिनियरिङ फर्म्स, सोसाइटी अफ नेप्लिज आर्किटेक्ट्स, सोसाइटी अफ मेकानिकल इन्जिनियर्स नेपाल आदिक संस्थासभ अपन समर्थन देने अछि।
नेपाल भ्यालुयर्स एसोसिएशनक सचिव इ. रविन्द्र अधिकारीक अनुसार, एनआइएमबीक व्यवहारक कारण बहुत मूल्याङ्कनकर्तासभ पीड़ित भेल छथि, ताहि लेल एहि बैंक खिलाफ आन्दोलनक केन्द्रित अभियान चलाओल गेल अछि। हुनकर कहब छनि जे नेपाल बैंकर्स संघ आ नेपाल राष्ट्र बैंकके पत्र देल गेल अछि, आ राष्ट्र बैंक द्वारा लाओल मसौदाक कार्यान्वयन करबाक माग कएल गेल अछि।
भ्यालुयर्स एसोसिएशनक उपाध्यक्ष प्रज्ञान घिमिरेक संयोजकत्व में भेल एकटा सर्वेक्षण में सेहो ई निष्कर्ष निकलल अछि जे नेपाल इन्भेष्टमेन्ट मेगा बैंक मूल्याङ्कनकर्तासभके सभसँ बेसी सताओल अछि, एहि जानकारी अधिकारी देने छथि।
आय साउन २३ गते शुक्रवारक दिन भ्यालुयर्स एसोसिएशन नेपाल इन्भेष्टमेन्ट मेगा बैंकक प्रदेश कार्यालय आ अपन शाखा रहल स्थानसभ में धरना देबाक तैयारी में अछि।





































