आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेश प्रदेश सरकार सामाजिक सुरक्षा आ बाल संरक्षणक क्षेत्र मे ऐतिहासिक गाम बढ़ेलक अछि। प्रदेशक खेलकूद आ समाज कल्याण मंत्री प्रमोद जयसवाल जनौने छथि जे चालू आर्थिक वर्ष केँ “सामाजिक सुरक्षा सुदृढीकरण वर्ष” केर रूप मे लऽ कऽ काज कएल जा रहल अछि।
जनकपुरधाम मे आयोजित “मधेश प्रदेश मे सामाजिक सुरक्षा तथा बाल संरक्षण” विषय पर भेल संवाद कार्यक्रम मे मंत्री जयसवाल कहलनि जे प्रदेश सरकार युरोपियन यूनियन, संयुक्त राष्ट्र संघ, युनिसेफ केर सहयोग आ लाइफ नेपाल केर समन्वय मे जनहितक कार्यक्रम सभ चलौने अछि।
ओ कहलनि जे साउन १ गते सँ लागु भेल “घरधुरी बीमा” आ “नागरिक बीमा” कार्यक्रम प्रदेश सरकारक सामाजिक सुरक्षा प्रतिक प्रतिबद्धता केँ संकेत करैत अछि। पहिल चरण मे एक लाख घरधुरी आ ६ हजार ६ सय नागरिक केँ बीमा केर दायरा मे आनल गेल अछि। मंत्री जयसवाल ईहो कहलनि जे सामाजिक सुरक्षा प्रणाली केँ संस्थागत बनेबाक लेल सरकार समाज कल्याण ऐन लाबय केँ तैयारी मे अछि।
बाल संरक्षण केँ लऽ कऽ सेहो मधेश प्रदेश अग्रसर अछि। मंत्री जयसवाल जनौने जे प्रदेश सरकार जे “बालिका संरक्षण ऐन” लएलक से मधेश केँ सातु प्रदेश मे पहिल बनौलक। संगहि, “बेटी जिन्दाबाद महाअभियान” एहि वर्ष सँ बजट सहित आरम्भ कएल गेल अछि।
कार्यक्रम मे नेकपा एमालेक प्रमुख सचेतक हरिनारायण महतो कहलनि जे पूर्व सरकार द्वारा सुरु कएल गेल नीक सामाजिक सुरक्षा कार्यक्रम सभ केँ निरंतरता देब जरूरी अछि। जसपा नेपालक प्रमुख सचेतक रामअशिष यादव कहलनि जे जे बालबालिका विद्यालय नहि जा पाबि रहल छथि, हुनका कक्षा कोठा तक लाबय पर सरकार विशेष प्राथमिकता देबय।
खेलकूद आ समाज कल्याण मंत्रालयक सचिव रंजीत यादवक अध्यक्षता मे सम्पन्न एहि कार्यक्रम मे मधेश प्रदेशक मुख्य न्यायाधिवक्ता सुरेन्द्र कुमार महतो सामाजिक सुरक्षा प्रणाली आ बाल संरक्षण केर संभावना पर कार्यपत्र प्रस्तुत कएलनि।





































