जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल सर्लाहीक दुइ वरिष्ठ नेता – गणेशकुमार यादव आ मुकेशकुमार पण्डित – आइ एक संग पार्टी छोड़बाक घोषणा केलनि। लगभग बीस वर्षक राजनीतिक यात्रा क’ बाद ओहि दुइ नेताक जसपा संग संबंध पूर्ण रूप सँ समाप्त भ’ गेल।
मधेश आन्दोलनक आरम्भिक चरण सँ राजनीति मे सक्रिय रहल यादव आ पण्डित सदा जसपाक झंडा तले संघर्ष करैत रहलाह। हरिपूर्वा नगरपालिकाक निवासी यादव जसपा सर्लाहीक वरिष्ठ उपाध्यक्ष छलाह, जखन कि मलंगवा नगरपालिकाक निवासी पण्डित उपाध्यक्षक भूमिका मे छलाह। ओ दुनू जना जिला कार्य समितिक विघटन होय सँ पहिने धरि नेतृत्वक मुख्य तह पर सक्रिय छलाह।
राजीनामा पत्र मे ओ कहलनि जे पार्टी भितर सालों सँ चलैत गुटबंदी, आंतरिक अव्यवस्था आ स्थानीय नेतृत्व द्वारा लगातार उपेक्षा करब मुख्य कारण बनल। सर्लाही जिलामे बढ़ैत गुट-उपगुटक प्रवृत्तिक संबंध मे केंद्रिय नेतृत्व केँ कतेको बेर जानकारी देल गेल, मुदा कखनहुँ उचित सुनवाई नहि भेल – ई ओकरे शिकायत छल।
“एहि पार्टी मे आब कोनो राजनीतिक भविष्य नहि देखाइ छै,” – ओ सभ अपन राजीनामा पत्र मे लिखने छथि – “हम अपन राजनीतिक यात्रा केँ सम्मानपूर्वक समाप्त करैत, आइ सँ साधारण सदस्यो नहि रहि पार्टी त्यागि रहल छी।”
यादव आ पण्डित अपन दीर्घकालीन राजनीतिक जीवनक संग-साथी, कार्यकर्ता, समर्थक आ शुभचिन्तकक प्रति कृतज्ञता प्रकट केलनि आ भविष्य मे नव राजनीतिक विकल्पक खोज करबाक संकेत सेहो देलनि।
ओही दुइ पुरान आ प्रभावशाली नेताक पार्टी सँ एक संग बहिर्गमन सर्लाही जिलामे जसपा संगठन मे आरो अस्थिरता आ हलचल बढ़ेबाक अनुमान कएल जा रहल अछि।