आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास नगरपालिका मे कर्पोरेट डेभलपमेन्ट बैंकक नव शाखाक विस्तार कैल गेल अछि। बर्दिवास–१ स्थित मुख्य बजारमे संचालनमे आबि रहल ई शाखाक उद्घाटन शनिके एकटा विशेष समारोहमे नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कएलनि।
शाखाक उद्घाटनक क्रममे नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि जे बर्दिवासक आर्थिक गतिविधि तेजी सँ बढ़ि रहल अछि, तैँ व्यवसायिक क्षेत्रक विस्तार आ निवेश–मैत्री वातावरण बनेबाक लेल बैंकिंग पहुँच बहुत जरूरी अछि। “बैंकिंग सेवाक विस्तार सँ नगरवासीसभक वित्तीय पहुँच सहज होइत अछि आ एकर संगहि साना उद्यम आ व्यवसायीक आर्थिक प्रगतिक आधार सेहो तैयार होइत अछि,” ओ कहलनि।
ओ आरो कहलनि, “बर्दिवास जकाँ आर्थिक रूप सँ गतिशील नगरमे एहन संस्थागत निवेशक आबय सकारात्मक संकेत अछि। निजी क्षेत्रक सहभागितासँ नगरक समग्र विकासमे योगदान भेटत।”
उद्घाटन समारोहमे बैंकक वरिष्ठ अधिकारीगण, उद्योगपति, व्यवसायी, स्थानीय जनप्रतिनिधि आ सर्वसाधारण उपस्थित छलथि। ओहि अवसर पर बैंकक तर्फ सँ उपलब्ध सेवासभ, ऋण नीति आ भविष्यक योजना सभक संबंधमे जानकारी देल गेल।
बैंक अपन नव शाखामे व्यक्तिगत आ व्यवसायिक ऋण, बचतक खाता, एटीएम सेवा, डिजिटल बैंकिंग आदि सेवासभ देबाक घोषणा केलक अछि। बर्दिवास शाखाक संचालन सँ एतय बैंकिंग प्रतिस्पर्धा आरो तीव्र होयत आ सेवाग्राहीसभक लेल वैकल्पिक सुविधा प्राप्त होयबाक अपेक्षा कएल जा रहल अछि।





































