सर्लाही मे सर्पदंश सँ महिलाक मृत्यु, जनकपुर लऽ जाइत काल बाटे मे निधन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही –

सर्लाही जिला के उत्तरवर्ती क्षेत्र ईश्वरपुर नगरपालिका–१२ स्थित घारिबथान गाम मे सर्पदंश सँ एक गोट महिला के मौत भऽ गेल अछि।

स्थानीय ५० वर्षीया सीता परियार केँ बिहीबार साँझ गोमन जातिक विषधर सर्प खुट्टा मे दुइ बेर डसने रहय। ओ साँझ काल्हि सूअर केँ चारो दऽ रहल छली।

दंशक बाद हुनका तुर्ते नवलपुर स्थित सर्पदंश उपचार केन्द्र लऽ जाएल गेल। मुदा अवस्था गम्भीर होए के कारण केन्द्र द्वारा प्रारम्भिक उपचार कऽ कऽ जनकपुर रेफर कएल गेल। वार्ड सदस्य खेमबहादुर बुढाथोकी उर्फ दिनेश के अनुसार जनकपुर लऽ जाइत काल रास्ता मे सीता परियार के निधन भऽ गेल।

उपचार केन्द्रक इन्चार्ज जगर्नाथ यादव कहलनि जे सीता परियार केँ बोली लटपटा गेल छल आ थूक तक नहि निःसकैत छली। “हम सभ ओहि समय १० भाइल एन्टी-स्नेक भेनम दऽ जनकपुर पठेलहुँ, मुदा अवस्था अतिसंवेदनशील छल, एहि कारणेँ उपचार केन्द्र मे इलाज संभव नहि छल,” यादव कहलनि।

ओ कहलनि जे केन्द्र मे भेंटिलेटर आ आइसीयू जेकाँ संरचना त अछि, मुदा संचालक हेतु जरूरी दक्ष स्वास्थ्यकर्मी के अभाव अछि, जइ कारणेँ गम्भीर मरीज केँ समुचित उपचार देब कठिन भऽ जाइत अछि।

एहि सँ पहिने सेहो बागमती नगरपालिका–११, कर्मैया गाम मे फर्सी तोड़ऽ गेला समय गोमन सर्प एक गोट महिला केँ डसने रहय आ समय पर उपचार नहि भेटबाक कारण हुनक सेहो मृत्यु भऽ गेल छल।

वर्तमान समय गर्मी के अछि, जाहि कारण तराई–मधेश क्षेत्र मे विषधर सर्पक गतिविधि बहुत बढ़ि गेल अछि। विशेषज्ञ सभ लोक केँ खेत-पथार आ घरक आसपास सावधानी बरतबाक सलाह देने छथि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...