मोटरसाइकल चोरीक मामिलामें दोषी प्रमाणित माओवादी नेता टिकाराम स्याङ्तान जेल भेजल गेलाह

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सिन्धुली |

सिन्धुली जिलाक मरिण गाउँपालिका–४ निवासी माओवादी वाडा कमिटी अध्यक्ष टिकाराम स्याङ्तान केँ मोटरसाइकल चोरीक मामिलामें दोषी ठहर कएल गेलाक बाद जेल भेजल गेल अछि। ओ तीन वर्ष पहिने दुइटा पल्सर मोटरसाइकल चोरी करबाक मामिलामें संलिप्त भेटल छलाह।

स्याङ्तान केँ माओवादी केन्द्रक प्रभावशाली नेता तथा सिन्धुली सँ निर्वाचित सांसद राजन दाहालक निकट सहयोगी मानल जाइत छल। ओ स्थानिय खयरसाल उच्च विद्यालयक व्यवस्थापन समिति अध्यक्ष सेहो छलाह।

वर्ष २०७९ में मोटरसाइकल चोरीक आरोपमें गिरफ्तार भेल स्याङ्तान २५ दिन धरि हिरासत में रहिकय धरौटी पर छुटल छलाह। सिन्धुली जिल्ला अदालत ओहि समय हुनका दोषी ठहर करैत सजाय सुनौने छल। ओ फैसलाक विरुद्ध उच्च अदालत पाटन में पुनरावेदन कएने छलाह, मुदा ओतहु सँ फैसला जिलाक पक्ष में आयल, जाहिक बाद ओ फरार भऽ गेल छलाह।

दीर्घकाल धरि फरार रहनिहार स्याङ्तान केँ हाल पुलिस गिरफ्तार कए बुधदिन जिला अदालत में प्रस्तुत कएलक, जतय सँ ओहि दिन कारागार पठा देल गेल। ई जानकारी अदालतक श्रेस्तेदार विदुरप्रसाद कोइराला देलथिन।

३४ वर्षक स्याङ्तान द्वारा चोरी कएल गेल दुइटै मोटरसाइकल २२० सीसी क्षमताक पल्सर छल। अब अदालतक आदेश अनुसार हुनका निश्चित अवधी धरि जेल में रहऽ पड़त।

राजनीतिक पहुँच, सांसद संग निकटता आ सामाजिक भूमिका होइतहुँ, स्याङ्तानक आपराधिक संलग्नता स्थानीय स्तर पर माओवादी पार्टीक छवि आ नैतिकतापर गम्भीर सवाल उठौने अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...