आज्ञा खबर
बारा
जनमत पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. सिके राउत कहला जे देश मे संघीयता त स्थापित भ’ चुकल छै, मुदा व्यवहार मे एकरा कमजोर बनेबाक प्रयास लगातार भ’ रहल छै।
सोमबार बारा जिलाक सदरमुकाम कलैयामे आयोजित एक बृहत् पार्टी प्रवेश आ आमसभा केँ संबोधित करैत डा. राउत कहला जे संघीयता कार्यान्वयन मे प्रमुख दल सभक इच्छाशक्ति केर अभाव स्पष्ट रूप सँ देखायल छै।
“संघीयता केर मतलब प्रदेश केँ स्वायत्तता देनाय होइत छै,” राउत कहला, “मुदा आइयो धरि प्रदेश सरकारक अपन प्रहरी आ प्रशासन नै छै। सबटा कर्मचारी आ सुरक्षा संयंत्र केन्द्र सरकार केर अधीन छै, जे कारण प्रदेश सरकार अपन निर्णय केँ लागू नै क’ सकैत छै।”
ओ कहला जे संघीयता केँ सुदृढ बनेबाक दिशा मे ठूला पार्टी सभ पूर्ण रूप सँ असफल रहल छैथ। मधेशक हक आ अधिकार केँ सुनिश्चित करबाक लेल ओ समस्त मधेशी दल सभ केँ एकजुट होयबाक जरूरत पर जोर देलथिन।
डा. राउत कहला जे तराई–मधेश सहित देशक अनेक समस्याक समाधान लेल संविधान संशोधन अपरिहार्य भ’ चुकल छै।
“सरकार केँ चाही जे जनता केँ विश्वास जितबाक काज करए,” ओ कहला, “कांग्रेस आ एमाले केर नेतृत्व मे बनल वर्तमान सरकार जनता मे नव आशा जगाबय केँ एक अवसर छै। मुदा, हालक कार्यशैली सँ जनआकांक्षा पूर्ण होयबाक संभावना नै देखाइत छै।”
कार्यक्रम मे मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह सेहो स्वीकार करलनि जे संघीय गठबन्धन केर व्यवस्थाक कारण प्रदेश सरकार अपेक्षित ढंग सँ काज नै क’ सकल। तथापि, ओ कहला जे प्रदेश सरकार विकास आ अधिकार सुनिश्चित करबाक दिशा मे अपन स्तर सँ भरपूर प्रयास क’ रहल छै।
पार्टीक बारा जिला अध्यक्ष शवनाथ पटेल केर अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल एहि कार्यक्रम मे संविधानसभा सदस्य प्रमोद गुप्ता, मधेश प्रदेशक पूर्व सांसद पारस साह सहित विभिन्न दल छोड़ि क’ कतेको नेता–कार्यकर्ता जनमत पार्टी मे प्रवेश केलथि।





































