आज्ञा खबर
दुधौली, सिन्धुली
सिन्धुली जिला केर दुधौली नगरपालिका–२ स्थित मधुगंगा महादेव मन्दिर परिसर सोमबार दिन दूपहरि एकाएक भेल गोली प्रहार केर घटनासँ पूरा क्षेत्र स्तब्ध भऽ गेल। एहि घटनामे एक गोटे के मृत्यु भेल होएबाक आशंका व्यक्त कएल गेल अछि।
प्रारम्भिक जानकारी केर अनुसार, करीब दिन के १२ बजे मन्दिर परिसर मे भारतीय नागरिक सभक एक गोटे समूह बीच किछु वाद-विवाद भेल। ओहि विवादक क्रम मे एक गोटे अपने संगी पर गोली चला देलक, जेकर पुष्टि जिला प्रहरी कार्यालय, सिन्धुली कएने अछि। घटनामे संलग्न रहल चारि सँ पाँच गोटे के समूह केर खोजबीन जारी अछि।
गोली चलबाक आवाज सुनिते स्थानीय लोकनि तुरन्त प्रहरी के खबर देलथिन। तकरबाद जिला प्रहरी कार्यालय सिन्धुली केर प्रमुख एसपी लालध्वज सुवेदी केर नेतृत्व मे एक प्रहरी टोली घटनास्थल पर पहुँचल। ओतऽ इलाका प्रहरी कार्यालय डकाहा सँ सेहो अतिरिक्त टोली पठाओल गेल छल, डीएसपी सूर्य प्रकाश सुवेदी एहन जानकारी देलथिन।
दुधौली नगरपालिका–२ केर वडाध्यक्ष रितेश राउत केर अनुसार, घटनास्थल पर चाकू सन धारदार हथियार सेहो भेटल अछि। गोली लागल व्यक्ति केर परिचय एखन धरि पता नहि चलल अछि, मुदा स्थानीय लोकनि के कहब अछि जे ओ घटनास्थल पर मृत अवस्थामे देखल गेल।
प्रहरी घटनास्थल केर घेराबन्दी कए लेने अछि आ घटनाक बिस्तृत जाँच-पड़ताल तेजी सँ चलि रहल अछि।





































