आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेश प्रदेश सरकार सञ्चार क्षेत्रसे सम्बन्धित तीनगो संस्थाके एकीकृत करेके प्रक्रिया आगे बढ़ौने अईछ। प्रदेश सरकारके अनुसार आमसञ्चार प्राधिकरण, मिडिया काउन्सिल आ चलचित्र विकास बोर्डके एकेटा संस्थागत संरचना अन्तर्गत सञ्चालन करे खातिर कानूनी तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँच गेल छई।
गृह, सञ्चार तथा कानूनमन्त्री फकिरा महतो कहलन कि तीनू संस्थाके अलग–अलग संरचनामे सञ्चालन कैलाके कारण प्रशासनिक आ सेवा–सुविधामे बेशी खर्चा हो रहल छै, लेकिन अपेक्षित उपलब्धि हासिल नै भ सकल अईछ। उनका अनुसार संस्थागत खर्च कम करेके आ कार्यसम्पादनके बेसी प्रभावकारी बनाबेके लेल एकीकरणक अवधारणा आगे बढ़ाईल गेल छई।
उकहलन एकीकृत संरचनाके लेल आवश्यक विधेयक तयार भेगेल अईछ आ सरोकारवाला सबसे परामर्श प्रक्रिया पूरा भेलाके बाद प्रदेश सभाके आबेबला अधिवेशनमे प्रस्तुत कईल जाईत।
मन्त्री महतो कहलन जे ईहे विषयमे मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव, अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई आ गृह, सञ्चार तथा कानून मन्त्रालयके बीचमे सेहो सहमति भे चुकल छई। उहे सहमति अनुसार प्रदेश सरकार अईसे सम्बन्धित निकायमे पुनःसंरचनाके योजना बनैने अईछ, जईमे पहिलका चरणमे सञ्चार क्षेत्रसे सम्बन्धित संस्थासबके एकीकृत कईल जाईत।
मन्त्री महतोके अनुसार तीनु संस्था एकेगो प्रकृतिके कार्यक्रम सञ्चालन करैत आईब रहल अईछ, लेकिन अपेक्षित प्रभावकारिता देखाबेमे सफल नई रहल छल। मन्त्री महतोके अनुसार सञ्चारसम्बद्ध नीति निर्माण, नियमन आ प्रवद्र्धनके एकेटा संस्थामार्फत सञ्चालन कैलासे स्रोत–साधनके प्रभावकारी उपयोग होयत, अईसे दुतर्फी आर्थिकभार सेहो खतम होयत आ सञ्चार क्षेत्रके बेसी प्रभावकारी सेवा उपलब्ध कराईल जा सकत।
