आज्ञा खबर
बरहथवा
सर्लाहीके लालबन्दीमे बितल राइत गोली प्रहार क लुटपाटके प्रयास कएल गेल अइछ ।
राइतके समयमे लालबन्दी नगरपालिका–७ आ ३ के सीमास्थित सड़कमे अज्ञात समूह गोली प्रहार क लुटपाटके प्रयास कएने छल । लालबन्दी बजारमे मोबाइल दोकान सञ्चालन करैत आएल लालबन्दी नगरपालिका–७ के हरिप्रसाद सापकोटाकेँ राइत दोकान बन्द क घर जेबाक क्रममे मोटरसाइकलपर आएल तीन गोटे लुटपाट करबाक प्रयास कएने प्रहरी जनौलक अइछ ।
लालबन्दी बजारमे मोबाइल दोकान सञ्चालन करैबला व्यक्तिकेँ राइतक समयमे एसगर देखलाक बाद घेर क लुटबाक प्रयास कएल गेल छै” जिला प्रहरी प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतम कहलैन, “ओ प्रतिकार कएलाक बाद अज्ञात समूह गोली फायर करैत भागल छल । हमसभ अनुसन्धानमे छी ।” मोटरसाइकलपर घर जाइतकाल सापकोटा लुटेरा समूहके प्रतिकार कएलाक बाद ओसभ नलकटुवा पेस्तोलसँ गोली प्रहार क फरार भेल ओ बतौलैन ।
घटनास्थलसँ नलकटुवा पेस्तोलसँ चलाओल गेल गोली सेहो बरामद कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ।
