फिफा विश्कप २०२६ : कोलम्बियाकेँ पराजित करैत स्वीट्जरल्यान्ड ‘क्वार्टरफाइनल’मे

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

कोलम्बियाकेँ पराजित करैत स्वीट्जरल्यान्ड फिफा विश्वकप २०२६ के क्वार्टरफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ । क्यानडाके बिसी प्लेस भ्यानकुभर स्टेडियममे आइ भेल खेलमे स्वीट्जरल्यान्ड पेनाल्टी सुटआउटमे कोलम्बियाकेँ ४–३ गोलसँ पराजित करैत क्वार्टरफाइनलमे प्रवेश केलक । खेलके निर्धारित ९० मिनेटमे आ ओइके बाद थप कएल गेल ३० मिनेटके अतिरिक्त समयमे गोल दूनु टिम गोल नै कएलाक बाद खेल पेनाल्टी सुटआउटमे प्रवेश कएने छल ।

स्वीट्जरल्यान्डके जितमे ग्रानिट जाका, जेकी आम्दोनी, सेड्रिक इटेन आ रुबेन वर्गास गोल केलैन, तँ म्यानुअल अकांजीके प्रहार चुकल छल । प्रतियोगितामे कोलम्बियाके लेल जुआन क्विन्टेरो, जामिन्टन क्याम्पाज आ लुइस डियाज गोल केलैन, तँ डेभिन्सन सान्चेज आ कुचो हर्नान्डेजके प्रहार चुकल छल । इएह सङे विश्वकपके अन्तिम १६ के खेल समाप्त भेल अइछ । ––– रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...