आज्ञा खबर
काठमाण्डू
इजिप्टकेँ पराजित करैत साविक विजेता अर्जेन्टिना ‘फिफा विश्वकप–२०२६’ के क्वाटरफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ । अमेरिकाके एटलान्टा स्टेडियममे आइ भेल खेलमे इजिप्टकेँ ३–२ गोलसँ पराजित करैत अर्जेन्टिना क्वाटरफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ । खेलमे पहिल अग्रता इजिप्ट लेने छल । खेलके १५म मिनेटमे यासेर इब्राहिमके गोलसँ इजिप्ट पहिल अग्रता लेने छल ।
खेलके ६७म मिनेटमे मुस्तफा जिको गोल करैत इजिप्टकेँ २–० के अवस्थामे पहुँचोलैन । ओइके बाद अर्जेन्टिना शानदार पुनरागमन केलक । क्रिस्टियन रोमेरो खेलके ७९म मिनेटमे गोल करैत अन्तर कम केलैन, तँ लियोनेल मेस्सी खेलके ८३म मिनेटमे बराबरी गोल केलैन । ओइके बाद खेल दोसर हाफके अतिरिक्त समयमे प्रवेश कएलाक बाद एन्जो फर्नान्डेज ९०+३ म मिनेटमे निर्णायक गोल करैत अर्जेन्टिनाकेँ ३–२ गोलसँ जित दिओलैन ।–– रासस
