आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलाक लालबन्दी नगरपालिका–१ स्थित नवलपुरमे बृहस्पतिवार बिहान करंट लगला सँ एक गोटा मजदूरक मृत्यु भ’ गेल अछि, जखन कि दुइ गोटा घायल भ’ गेल छथि। ई घटना न्यू माँ राजदेवी खाद्य उद्योगक प्रांगणमे घटल अछि।
रौतहट सँ धानक भुस ल’ क’ अबैत ना. ६ ख ७५५० नम्बरक ट्रककेँ उद्योग परिसरमे प्रवेश करबैत काल, ट्रक पर चढ़िक’ ११ हजार भोल्ट क्षमताक विद्युत तार हटेबाक प्रयासमे मजदूर सब करंटक चपेटामे आबि गेलाह।
करंट लगलासँ रौतहटक बृन्दावन नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षिय दिनेश पासवानक मृत्यु भ’ गेल। इलाका प्रहरी कार्यालय लालबन्दीक प्रहरी निरीक्षक बीरेन्द्रसिंह जोहारी जानकारी देलनि जे गंभीर घाइते अवस्था मे दिनेशके हरिवनस्थित नमूना अस्पताल ल’ जाइत काल डाक्टर सब हुनका मृत घोषित कएलक।
एहि दुर्घटनामे ओहि ट्रक पर कार्यरत २५ वर्षिय कुन्दन पासवान आ ४० वर्षिय जागेश्वर पासवान सेहो घायल भेलाह। दुनू जना बृन्दावन नगरपालिका–७, रौतहटक रहैवाला छथि। हाल दुनूक हरिवनक नमूना अस्पतालमे उपचार भ’ रहल अछि।
ट्रक चलाबयवाला पर्सा जिलाक वीरगंज महानगरपालिका–३० निवासी ३९ वर्षिय शेख लाल महम्मद सकुशल छथि। घटना पश्चात ट्रकसहित चालककेँ प्रहरी नियन्त्रणमे ल’ चुकल अछि।
प्राथमिक अनुसंधान अनुसार उद्योग परिसरक छतसँ किछु ऊपरसँ गुजरैत उच्च भोल्टेज लाइनमे लापरवाहीपूर्वक हस्तक्षेप करबाक कारण ई दुःखद दुर्घटना घटल अछि। घटनासँ सम्बन्धित आर विस्तृत अनुसंधान जारी अछि।





































