आज्ञा खबर
महोत्तरी
सोनमा गाउँपालिका–३ खखना गाममे बितल जेठ २० गते पति–पत्नीकेँ गोली प्रहार क डकैती कएने अभियोगमे तीन गोटेकेँ प्रहरी गिरफ्तार केलक अइछ । गिरफ्तार हुअबलामे सम्सी गाउँपालिका–६ के २१ वर्षीय अपरोज शेष, २४ वर्षीय शेष बारिक आ गौशाला नगरपालिका–५ का क्रिश कुमार मेस्तर रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक पञ्चलाल गोले बतौलैन । गिरफ्तार भेल तीन गोटेके समूह स्थानीय रामविश्वास यादवके घरमे सुइत रहल हुनक बेटी किरण यादवकेँ पैरमे दूटा गोली आ जमाइ ईश्वरनारायण यादवकेँ दहिना हातमे एकटा गोली प्रहार क घायल बनौने छल । घायल यादव दम्पतीके स्वास्थ्य अवस्था अखन समान्य अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय अभियुक्तसभकेँ आइ पत्रकार सम्मेलन क सार्वजनिक केलक अइछ । घटनामे संलग्न अन्य फरार अभियुक्तके खोजतलास भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ । ––– रासस
