उइँख कृषकके करिब दू अरब भुक्तानी

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

महोत्तरी

महोत्तरीके दूटा चिनी उद्योग उइँखक करिब दू अरब रकम कृषकके भुक्तानी केलक अइछ । जिलाक गौशाला नगरपालिका–१ स्थित एभरेष्ट सुगर एण्ड केमिकल इन्डष्ट्रिज आ गौशाला–१२ स्थित सिद्धिविनायक सुगर एण्ड केमिकल इन्डष्ट्रिजमे बुझाएल गेल उइँखक रकमबापत एक अरब ७६ करोड़ ५२ लाख ४६ हजार ४ सओ ५५ टका कृषककेँ भुक्तानी देल गेल जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी जनौलक अइछ । दूनु उद्योगमे कृषक २८ लाख ६७ हजार ९ सओ ८६ क्विन्टल ९६ किलो उइँख आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के समयमे बुझाएल गेल अभिलेखमे उल्लेख अइछ । जमा उइँखके मूल्यबापत हुअबला एक अरब ७७ करोड़ ३४ लाख ३७ हजार २ सओ ३२ टकामध्ये एक अरब ७६ करोड़ ५२ लाख ४६ हजार ४ सओ ५५ टका भुक्तानी भ चुकल कार्यालयके प्रशासकीय अधिकृत कामेश्वर यादव जानकारी देलैन । तहिना, सरकार उइँख कृषककेँ देबैबला अनुदानबापतके रकम भुक्तानीके लेल कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालय महोत्तरीकेँ सिफारिस कएने अइछ । जिला भुक्तानी समिति अखन २० करोड़ सात लाख ५९ हजार एक सओ १७ टका अनुदान भुक्तानीके लेल सिफारिस कएने यादव स्पष्ट केलैन । जिलामे भुक्तानी सिफारिसके लेल प्रमुख जिला अधिकारीके अध्यक्षतामे भुक्तानी समितिके व्यवस्था अइछ । अइ बेरके उइँख बापतके दाम आ अनुदान सब भुक्तानी इएह अखार महिनामे होबाक जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी जनौलक अइछ । ––– रासस

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...