प्रतिपक्षके अवरोधके कारण मधेश प्रदेशसभाक बैसार स्थगित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

दलसभक बीच सहमति नै भ सकलाक बाद मधेश प्रदेशसभाक बैसार अन्यौलमे पड़ल अइछ । बुधदिन दुपहर १ः०० बजेक आह्वान कएल गेल प्रदेशसभाक बैसार प्रतिपक्षी दलके अवरोधके कारण स्थगित भेल छल । प्रदेश सरकार प्रदेशसभामे इएह अखार १ गते प्रस्तुत कएल अगिला आर्थिक वर्ष २०८३/८४ क लेल विनियोजन विद्येयकमे व्यापक त्रुटी रहलासँ संशोधनके माँग करैत करैत प्रमुख प्रतिपक्षीदल जनता समाजवादी पार्टी (जसपा), नेपाल आ जनमत पार्टी बैसार अवरुद्ध केलक अइछ । बैसार सञ्चालन करए लेल सभामुख रामअशिष यादवके पहलमे सत्तापक्षी आ प्रतिपक्षीय दलक नेतासभक बीच बुधदिनसँ बातचित भेलोपर सहमति नै भेल अइछ। सहमति भेलाक बाद बैसार सञ्चालन होबाक प्रदेशसभा सचिवालयक सचिव बासुप्रसाद कोइराला जानकारी देलैन । बुधदिन बैसल बैसारके शुरूमे दुनु प्रतिपक्षी दलके प्रदेशसभा सदस्यसभ सरकार अपने नीति तथा कार्यक्रमसँ घोषणा कएल विषयकेँ बेवास्ता करैत छोटका आ टुक्रा योजनामे बजेट विनियोजन कएने तथा बजेटमे प्रतिपक्षपर विभेद् कएल गेल तकरा संशोधन नै कएलाधैर बैसार सञ्चालन नै होबाक अडान लेलासँ सभामुख यादव बैसार १० मिनेटक लेल स्थगित कएने छल । मधेश प्रदेश सरकार अगिला आर्थिक वर्ष २०८३/८४ क लेल ४१ अरब १३ करोड़ ८६ लाख टका बजेट विनियोजन केलक अइछ । मधेश प्रदेश सरकारक अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई प्रदेशसभाक बैसारमे अगिला आव २०८३/८४ मे कृषि नवप्रर्तन, उद्यमशीलता प्रवर्द्धन, शिक्षा, स्वास्थ्यकेँ प्राथमिकतामे राखैत ४१ अरब १३ करोड़ ८६ लाख टकाके बजेट प्रस्तुत कएने छल । —रासस

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...