नाउपा में नेतृत्वक द्वंद्व: रेशम चौधरी पत्नी के हटा क’ बाबू केँ बनौलनि अध्यक्ष

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिया,
नागरिक उन्मुक्ति पार्टी (नाउपा) में नेतृत्वक विवाद दिन प्रतिदिन तीव्र भ’ रहल अछि। पार्टीक संरक्षक रेशमलाल चौधरी पक्ष सऽ आयोजित भेल दू दिने बैठक में निर्णय लेल गेल जे पार्टीक अध्यक्ष पद पर हुनकर पिता लालवीर चौधरी केँ चयन कएल गेल अछि।

एहि बैठक में पूर्व अध्यक्ष रञ्जिता श्रेष्ठ, जे रेशम चौधरीक पत्नी छथि, केँ पद सऽ हटेबाक संगहि पार्टी सऽ निष्कासित सेहो कएल गेल अछि।

बर्दिया–२ सऽ प्रत्यक्ष निर्वाचित संघीय सांसद लालवीर चौधरी आब पार्टीक आन्तरिक राजनीति में सक्रिय भुमिका ल’ रहल छथि। ई घटनाक्रम सऽ स्पष्ट भऽ रहल अछि जे रेशम चौधरी अपन परिवारक भीतर भूमिका के पुनः निर्धारण क’ रहल छथि।

ओतहि, अध्यक्ष पद सऽ हटायल गेल रञ्जिता श्रेष्ठ अपन पद सऽ हटबाक निर्णय केँ स्वीकार करऽ लेल तैयार नहि देखाइत छथि। ओ संसदीय दलक नेता गंगाराम चौधरी पर पार्टी विधानक उल्लंघन करबाक आरोप लगबैत २४ घंटाक स्पष्टीकरण पत्र पठौने छथि।

श्रेष्ठ कहलनि जे ओ अपन स्वास्थ्य तथा व्यक्तिगत कारण सऽ पार्टी गतिविधि में सक्रिय नहि भ’ सकलीह, ई बात पहिने सऽ सूचित कएल गेल छल। संगहि ओ ई सेहो आरोप लगेलनि जे बैठक बिना सूचना आ विधिक प्रक्रिया सऽ बाहर निर्णय लेल गेल।

एहि सऽ स्पष्ट भऽ रहल अछि जे नाउपा में नेतृत्वक संघर्ष आब खुल्ला रूप में आबि गेल अछि। एक दिस रेशम चौधरीक संरक्षण में पार्टीक नव संरचना बनबाक संकेत भेटि रहल अछि, दोसर दिस रञ्जिता श्रेष्ठ अबहुँ अपने केँ अध्यक्ष मानैत छथि।

राजनीतिक विश्लेषक लोकनि नाउपा में चलि रहल एहि घटनाक्रम केँ ‘परिवारक भीतर शक्ति संघर्ष’ केर संज्ञा दैत छथि, जे भविष्य में पार्टीक स्थायित्व आ प्रभावशीलता दुनू पर असर पहुँचा सकैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...