आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलाक चन्द्रनगर गाउँपालिका–६, कामद गाममे एकटा पुरान जरजर घर अचानक ढहला सँ ओहि घरमे खेलैत एकटा बालकक मृत्यु भ’ गेल।
मृतक बालक ६ वर्षीय अरुण माझी छथि, जे ओही वाड़ाक गौतम माझी केर सुपुत्र छथि। ओ घर स्थानीय नवीन सिंहक रहल, जेकरा सशस्त्र द्वन्द्वक कालमे, करिब २०६२ सालमे सिंह परिवार गाम छोड़ि काठमांडू सरेला बाद सँ सुनसान अवस्थामे रहल अछि। बहुत दिन सँ प्रयोगमे नहि आबि रहल ओ पुरान घरमे गामक बाल-बच्चा सभ प्रतिदिन खेलय अबैत छल।
आजु दिउँसो ओही भग्नावशेषमे अरुण खेलैत काल मलबामे पुरा गेलाह। ई जानकारी स्थानीय ऋतुराज ऋषि (मुसहर) देने छथि। हुनकर कहब छन्हि, “माटि आ इँटा सँ बनल ओ घर हरेक बरख आओर जोखिमपूर्ण बनैत चलि गेल छल। आजु बालक सभ ओही ठाम खेलैत छल, अचानक घर ढहि पड़ल।”
ओहि दुर्घटनाक बाद आर किछु बालक सेहो मलबामे पुरा गेल होयबाक आशंका पर स्थानीय लोक, नेपाल पुलिस आ सशस्त्र पुलिसक सहयोग सँ डोजर द्वारा खोजबीन कएल गेल, मुदा आर केओ पुरा गेल नहि भेटल।
इलाका पुलिस कार्यालय केशरगंज बयलवासक निरीक्षक उमाकान्त जोशीक अनुसार, मृत बालकक शव पोष्टमार्टम हेतु मलंगवा स्थित प्रादेशिक अस्पताल पठाओल गेल अछि।
ई घटना सँ सम्पूर्ण कामद गाममे शोकक छाया छा गेल अछि। स्थानीय लोक सभ जरजर संरचनाक पहिचान क’ समय पर हटेबाक मांग सम्बंधित निकाय सँ केने छथि।





































