दिवंगत रामचन्द्र सिंह कुशवाहाक सम्मान मे सहकारी महासंघक श्रद्धाञ्जली

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
गौशाला

राष्ट्रिय सहकारी महासंघ लिमिटेड, नेपाल अपन पूर्व अध्यक्ष रामचन्द्र सिंह कुशवाहाक निधन पर गहिर दुख प्रकट करैत हुनका श्रद्धाञ्जली अर्पण केलक अछि। महासंघक अध्यक्ष ओम देवी मल्लक नेतृत्वमे एक प्रतिनिधिमण्डल सोमदिन कुशवाहाक निवास, गौशाला नगरपालिका–१२, परियामे पहुँचि शोकसंतप्त परिवारसँ भेंट करैत हुनका प्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण केलक।

ई कार्यक्रममे अध्यक्ष मल्लक संग महासंघक सदस्य शारदा दहाल सहित अन्य पदाधिकारी लोकनिक उपस्थिति छल। ओहि उपस्थित प्रतिनिधिमण्डल स्वर्गीय कुशवाहाक फोटो पर माल्यार्पण कए हुनकर सहकारी क्षेत्रमे देल गेल योगदान केँ स्मरण केलक।

अध्यक्ष मल्ल स्वर्गीय कुशवाहा केँ एकटा दूरदर्शी, निष्ठावान आ कर्मठ नेतृत्वकर्ता रूपेँ स्मरण करैत कहलनि, “हुनकर निधनसँ सहकारी आन्दोलनमे अपूरणीय क्षति भेल अछि। हुनकर योगदान सदैव स्मरणीय रहत।” ओ परिवारक सदस्यसभ प्रति गहिर समवेदना प्रकट करैत धैर्य आ शक्ति भेटय से प्रार्थना सेहो केलनि।

वि.सं. २०१५ कात्तिक २२ गते जन्मल रामचन्द्र सिंह कुशवाहाक २०८२ साल असार ३१ गते ६७ वर्षक उमेरमे निधन भ’ गेल। दीर्घकाल सऽ सहकारी आन्दोलनमे सक्रिय रहल कुशवाहा राष्ट्रिय सहकारी महासंघक अध्यक्षक रूपमे महत्वपूर्ण भूमिका निभौने छलाह।

महासंघ द्वारा जारी श्रद्धाञ्जली सन्देशमे कहल गेल अछि—
“कुशवाहा जीक असामयिक निधनसँ सहकारी क्षेत्र एकटा इमानदार, दृष्टिवान आ समर्पित नेतृत्व केँ गुमौने अछि। हम हुनका प्रति हार्दिक श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत परिवारजन केँ ई पीड़ादायक क्षण सहन करबाक शक्ति भेटय से प्रार्थना करैत छी।”

राष्ट्रिय सहकारी महासंघ दिवंगत प्रति श्रद्धा प्रकट करैत हुनकर योगदान केँ सम्मान करबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...