जनकपुरधामक होटलमे रहस्यमय मृत्यु प्रकरणः युवकक जान गेलाक बाद युवती गिरफ्तार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जनकपुरधामस्थित एकटा होटलमे एक युवकक रहस्यमय मृत्यु भेलाक बाद धनुषा पुलिस २४ वर्षीया एक युवतीके सार्वजनिक केलक अछि। ई घटना सऽ स्थानीय क्षेत्रमे चासो आ त्रास दुनू एक साथ फैलि गेल अछि।

मृतक महोत्तरी गाउँपालिका–१, पर्सा गामक २८ वर्षीय विमलेश यादव उर्फ शनी छथि, जे जनकपुरधामक “एसपी एण्ड गेस्ट हाउस” नामक होटलमे आइतबार बिहान मृत अवस्थामे भेटलाह। प्रारम्भिक जाँचमे पता चलल जे हुनकर संग बलवा नगरपालिका–७, बनौटा निवासी जुली झा छलीह।

धनुषा जिला पुलिस कार्यालय सोमदिन एक प्रेस वार्तामे झा के सार्वजनिक करैत घटनाक प्रारम्भिक विवरण देलक। पुलिसक अनुसार शनिदिन राति ९:५५ बजे यादव आ झा संयुक्त रूप सऽ होटलमे प्रवेश केने छलाह। मुदा लगभग पाँच घण्टाक बाद, आइतबार बिहान २:५७ बजे यादव नग्न आ रक्ताम्य अवस्थामे होटलक पहिल तल्लासँ खसि गेलाह।

होटलक परिसरमे लागल सीसीटीभी फुटेजमे देखायल अछि जे यादव खसला के किछु क्षण बाद झा सेहो हड़बड़ाइत पहिल तल्ला सऽ नीचाँ एलथि आ तुरत होटलसँ बाहर निकलि गेलीह।

गंभीर चोट लागल यादवके तुरते प्रादेशिक अस्पताल, जनकपुरधाम पहुँचायल गेल छल। मुदा उपचारक क्रममे आइतबार बिहान ७:४५ बजे हुनकर मृत्यु भऽ गेल।

घटनास्थल सऽ पुलिस रगत सनेसल कपड़ा, एकटा धारदार हथियार (छुरा) आ किछु अन्य सामान बरामद केलक अछि। अनुसन्धानकर्ता सभक मानब अछि जे ई घटना जानि बूझिकऽ कएल गेल होए सकैत अछि।

झा के आइतबार दिउँसोहि गिरफ्तार कएल गेल छल आ हाल पुलिस विस्तृत रुपसँ घटनाक छानबीन कऽ रहल अछि।

पुलिसक अनुसार ई घटना कोना भेल, मृतक आ युवतीक बीच के संबंध छल, आ की ई कोनो पूर्वनियोजित योजना छल — एहि सभ बात पर गंभीर अनुसन्धान भऽ रहल अछि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...