बरदिवास–७ फुलवारी टोल मे डिप बोरिङ योजना के शुभारम्भः पानि आ सिचाइ समस्या समाधान दिसा मे स्थानीय सरकारक जिम्मेदारी

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बरदिवास

महोत्तरी जिलाक बरदिवास नगरपालिका–७ स्थित फुलवारी टोलक लोकनि शनिचर दिन सँ एक टा नव आशाक यात्रा शुरू कएलनि। नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक उपस्थिति मे पीने पानि आ सिचाइ लेल डिप बोरिङ योजना केर शिलान्यास कएल गेल।

छइंच मोटाई आ दुई सौ फिट गहिराई धरि गाड़ल गेल ई डिप बोरिङ योजना आकार मे छोट लागैत होए, मुदा एकर प्रभाव पैघ होयत से मानल जा रहल अछि। प्रारंभिक रूप मे लगभग १० घरपरिवार के लक्षित कएल गेल ई योजनासँ सम्पूर्ण टोलक लोकनि के सुविधा विस्तार करबाक अपेक्षा कैल जा रहल अछि।

फुलवारी टोलक लोकनि बरसों सँ पीने पानि आ सिचाइ केर अभाव झेलि रहल छलाह। बरसातक मौसम मे भूमि सतह पर पानि देखाइत छल, मुदा बाकी समय सूखक आ पियासक त्रास छल। कृषि पर निर्भर स्थानीय लोगक लेल सिचाइ केर अभाव खेतिकेँ बाझ बना दैत छल।

“हमरा सभ सोचियो नै छल जे अपन आँगनमे पानि केर व्यवस्था हेत। आब जखन शिलान्यास देखलहुँ, त बुझायल जे साँच्चे नगर सरकार आब घर-दुआर पर आयल अछि,” – स्थानिय निवासी रामसिस महरा कहैत छथि।

नगर प्रमुख क्षेत्री शिलान्यास समारोहमे कहलनि, “हमरासभक स्रोत सीमित छै, मुदा इच्छाशक्ति आ जिम्मेदारी भरपूर छै। जनता के पानि, सिचाइ, शिक्षा आ स्वास्थ्य देब हमर पहिल प्राथमिकता छी।”

ओ कहलनि जे ई योजना मात्र एकटा नमूना नै अछि, बल्कि एहि तरहक योजना नगरक आन वॉर्ड सभमे सेहो संचालनमे आयल अछि। ओ एहन योजनासभक विस्तार करैत बरदिवास नगरभित्रक पीने पानि आ सिचाइ समस्या समाधान करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि।

फुलवारी टोलक दोसर स्थानीय निवासी चन्दर महरा कहैत छथि, “अहिना धरि पानि लेल दूर-दूर तक जाए पड़ैत छल। आब बुझाइत अछि जे घाँटी सुखा कऽ भटकि के पानि खोजबाक दिन खतम होयत।”

योजना पूर्णरूपेण संचालनमे आयलाक बाद, नजिकक खेत सभमे सहज सिचाइ होयत, मौसमी तरकारी उत्पादनमे वृद्धिक संग लोकक आमदनी सेहो बढ़त – से उम्मीद कैल जा रहल अछि।

ई छोट देखाइ वाला योजना वास्तवमे स्थायीत्व आ आत्मनिर्भरता दिस बढ़बाक एकटा महत्वपूर्ण पग छी। जखन आधारभूत सेवा – जइमे पानि पहुँच – स्थानीय स्तर पर सुनिश्चित होइत छै, त जनताक जीवनस्तर मात्र नै, बल्कि सोचोमे परिवर्तन अबैत छै।

एहि प्रकारे स्थानीय सरकार आ जनता बीच बढैत सहकार्य आ विश्वास भविष्यक दीर्घकालीन विकास योजना सभक सफलता लेल आधारशिला साबित भ’ सकैत अछि।

एना क’ फुलवारी टोल मे शुरू भेल डिप बोरिङ योजना केवल एकटा परियोजना नै, बल्कि एकटा संदेश सेहो छी – जतए सरकार जनताको पीड़ा सुनैत अछि, ओतए समाधान सेहो संभव होइत अछि। आब फुलवारी टोलक लोकनि अपन दैनिक जीवनक पीड़ासँ लड़बाक एकटा सशक्त माध्यम रूपमे बोरिङ चालू भ’ गेल देख’ लागल छथि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...