मधेशमे चहलपहल बढ़ल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

अशान्त मधेश प्रदेशमे क्रमशः चहलपहल बइढ़ रहल अइछ । सिरहाके गोलबजारमे गणेश यादवके मृत्यु भेलाक बाद वृहस्पैतदिनसँ मधेश प्रदेश तनावग्रस्त भेल छल । बितल शुक्रदिन गृहमन्त्री सुधन गुरुङ आ पीड़ित परिवार बीच लिखित सम्झौता भेलाक बाद मधेश प्रदेशमे अवस्था सामान्य हुअ लागल अइछ । धनुषा, सिरहा आ सप्तरीके किछ क्षेत्रमे स्थानीय प्रशासन जारी कएने कर्फ्यू तथा निषेधाज्ञा हटाएल गेल अइछ ।

उक्त स्थानमे यातायातके साधन सञ्चालन होबाक सङे बजार सञ्चालन भेल अइछ । स्थानीय विनोद साह यातायात सेवा सञ्चालन भेल आ जनजीवन सामान्य बनैत गेल बतौलैन । सम्बन्धित जिलाके स्थानीय प्रशासन अफवाहमे विश्वास नै करए आ सामाजिक सद्भाव कायम राखै लेल सब पक्षकेँ सूचना जारी क आग्रह कएने अइछ । (रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...