आज्ञा खबर
रौतहट
रौतहटके ईशनाथ नगरपालिका–३ औरैयामे जग्गासम्बन्धी विवादक क्रममे चक्कु प्रहारसँ वुटन साहके मृत्यु भेल अइछ । औरैयास्थित ८० वर्षीय ससुर राम बहादुर साहके घरमे रहैत आएल ईशनाथ नगरपालिका–१ बन्जरहाके ६० वर्षीय साहके मृत्यु भेल आ माथमे चोट लागल हुनक ससुरके स्थानीय अस्पतालमे इलाज भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।
चक्कु प्रहारसँ पिट्ठीमे गम्भीर चोट लागल साहकेँ प्रादेशिक अस्पताल गौर पहुँचाएल गेल आ हुनका चिकित्सक मङ्गलदिन राइत मृत घोषणा कएने छल । जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक वसन्त गौतम चक्कु प्रहार करैबला २६ वर्षीय राममहेश्वर साह आ निजके बाबु ६३ वर्षीय रामाऔतार साहकेँ नियन्त्रणमे ल आवश्यक अनुसन्धान क रहल अइछ ।
स्थानीय अनुसार जग्गा स्वामित्वकेँ विषयमे लम्बा समयसँ भेल विवाद उग्र रूप लेलाक बाद सासुरमे रहैत आएल साहके मृत्यु भेल अइछ ।
