आज्ञा खबर
सर्लाही
बागमती नगरपालिका ३८६ किसानकेँ अनुदानमे कृषि उपकरण वितरण केलक अइछ । कृषि यान्त्रिकीकरण कार्यक्रमअन्तर्गत ८३ टा मकैँ रोपैबला मेसिन आ ३०३ टा दवाइ स्प्रे कृषककेँ वितरण कएल गेल अइछ । ५० प्रतिशत अनुदानमे उक्त उपकरण वितरण कएल नगरके कृषि शाखा प्रमुख अवधेश झा जानकारी देलैन । ‘‘राष्ट्रिय कृषि आधुनिकीकारण परियोजना अइ क्षेत्रकेँ मकैँ सुपर जोन घोषणा केलक अइछ ’’, प्रमुख झा कहलैन, ‘‘किसान बहुते समयसँ उक्त उपकरण माँग करैत छल । तँए चाइर हजार ९४५ टा मकैँ मेसिन आ एक हजार ९१० टकामे दवाइ छिटैबला मेसिन वितरण कएल गेल अइछ ।’’ नगरके नौ लाख ८५ हजार १६५ टका लागतमे उपकरण वितरण कएलाक बाद किसान उत्साहित भेल अइछ । — रासस
