आज्ञा खबर
काठमाण्डू,
राष्ट्रके समृद्धिमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करैत आएल कृषकसभक अथक परिश्रम आ योगदानक सम्मान, पहिचान तथा संरक्षणक लेल सुरु कएल गेल कृषक सूचीकरण कार्यक्रम तीव्रता लेलक अइछ । नेपाल सरकार खाद्य अधिकार तथा खाद्य सम्प्रभुत्तासम्बन्धी ऐन, २०७५ अनुरूप कृषक सूचीकरण कार्यक्रम देशभैर राष्ट्रिय अभियानक रूपमे सञ्चालन क रहल अइछ ।
इएह सन्दर्भमे सरकारक १०० बुँदे कार्यसूचीमे उच्च प्राथमिकतासहित समेटल गेल ई कार्यक्रम बितल समय तीव्र गति लेने अइछ । आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के अखार महिनाधैर २४ लाख ५० हजार कृषक सूचीकृत होबाक लक्ष्य लेल गेलमे बितल समय कृषि, वन तथा पर्यावरण मन्त्रालयके विशेष सक्रियता, कृषि सूचना तथा प्रशिक्षण केन्द्रके समवंय आ स्थानीय तहके निरन्तर प्रयाससँ अखनधैर उल्लेख्य सङ्ख्यामे कृषक सूचीकरण भेल अइछ ।
अखनधैर देशैभैर २६ लाख ४५ हजार कृषक परिवार (कुल कृषक परिवारक करिब ६४ प्रतिशत) अइ प्रणालीमे आबद्ध भेल मन्त्रालयके कृषि सूचना तथा प्रशिक्षण केन्द्र जनौलक अइछ । आगामी आर्थिक वर्षसँ कृषक वर्गीकरणसहित परिचय पत्र वितरणके कार्यक्रम आगु बढ़ाबैजका मन्त्रालय केन्द्रकेँ आवश्यक तैयारी करबाक लेल निर्देशन देलक अइछ ।
विद्यमान प्रणालीके अद्यावधिक, प्रदेश तथा स्थानीय तहसँ समवंय एवं सहजीकरणक काजकेँ तीव्रता देलाक बाद स्थानीय तहकेँ अइ काजकेँ प्राथमिकतामे राइख सूचीकरण आ प्रमाणीकरण शीघ्र सम्पन्न करबाक लेल केन्द्रद्वारा अनुरोध कएल गेल अइछ । परिचय पत्र वितरणसँ कृषककेँ पहिचान तथा सम्मान प्रदान करबाक लेल सहयोग हएत ।
तहिना, सरकारसँ प्रदान कएल जाएबला सेवा सुविधाकेँ एकीकृत करए, तथ्याङ्क सङ्कलन करए, अनुदानक अनुगमन करए एवं विद्यमान अन्य प्रणालीसभ बीच अन्तर आबद्धतासहित सेवाप्रवाहमे सरलीकरण आ प्रभावकारिता वृद्धि होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । ––– रासस
