आज्ञा खबर
महोत्तरी
महोत्तरी प्रहरी महोत्तरी क्षेत्र नम्बर १ के पूर्व सांसद लक्ष्मी महतो कोइरीकेँ पक्राउ कएने अइछ । ड्युटीमे रहल सशस्त्र प्रहरी सहायक निरीक्षक थमन विकक हत्या प्रकरणमे उच्च अदालतके फैसलाअनुसार कैद सजाय ठहर भेलाबाद हुनका पक्राउ कएल गेल अइछ ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके अनुसार मिति २०८३ असार १८ गते साँझ करब ६ बजे जिल्ला प्रहरी कार्यालयसँ खटल प्रहरी टोली गौशाला नगरपालिका-५ स्थित एमाले पार्टी कार्यालय आगाक सार्वजनिक स्थानसँ गौशाला नगरपालिका-२ निगौल निवासी पूर्व सांसद कोइरीकेँ पक्राउ कएने छल ।
प्रहरीक अनुसार २०७२ भादो २५ गते ड्युटीमे रहल सशस्त्र प्रहरी सहायक निरीक्षक थमन विकके हत्या भेल घटनामे संलग्न भेलकहित हुनका कर्तव्य ज्यान मुद्दामे महोत्तरी जिल्ला अदालतके २०८० अघन• २८ गतेके फैसला उलटैत उच्च अदालत जनकपुर २०८३ अखार १७ गते कोइरीकेँ ५ वर्ष कैद सजाय होइबाक फैसला कएने छल।
