असई विक मृत्यु प्रकरणः पूर्वसांसद महतोसहित छ गोटेकेँ पाँच साल कैद, तीन गोटेकेँ जन्मकैद सजाय

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम,

प्रहरी सहायक निरीक्षक (असई) थमन विकके मृत्यु प्रकरणमे उच्च अदालत जनकपुर प्रतिनिधि सभाके पूर्वसांसद लक्ष्मी महतो कोइरी आ मधेश प्रदेश सभाके निलम्बित सदस्य अभिराम शर्मासहित छ गोटेकेँ पाँच साल कैदके सजाय सुनाैलक अइछ । उच्च अदालत जनकपुरक कामु मुख्यन्यायाधीश टेकनारायण कुँवर आ न्यायाधीश मुरारीबाबु श्रेष्ठके संयुक्त इजलास असई विकके मृत्यु प्रकरणमे पूर्वसांसद महतो, निलम्बित प्रदेश सभा सदस्य शर्मासहित धर्मेन्द्र राय, रामशङ्कर मिश्र, सुरेश पाण्डे आ पवन कापरकेँ जनही पाँच साल कैद सजायके फैसला केलक अइछ । तहिना, ओएह प्रकरणमे उच्च अदालत जनकपुर प्रतिवादीसभ प्रदीप साह माझी, सञ्जय कुमार साह आ मोहन ठाकुरकेँ तत्कालीन मुलुकी ऐनके ज्यानसम्बन्धी महलके १ नम्बर कसुरमे ओएह महलके १३ (३) नम्बरबमोजिम जन्मकैद करबाक फैसला कएने अदालतक सूचना अधिकारी गणेश पाण्डे जानकारी देलैन । महोत्तरी जिला अदालत तीनू गोटेकेँ २०८० अगहन २८ गते जन्मकैद आ पूर्वसांसद महतो तथा पवन कापरकेँ सफाइ देने छल । महोत्तरी जिला अदालतक जन्मकैदसम्बन्धी फैसला मिलल ठहर करैत तीनू गोटेके हकमे फैसला सदर कएने सूचना अधिकारी पाण्डे बतौलैन । उच्च आदलतके फैसलामे मृतक थमन विकके मृत्यु कर्तव्यसँ भेल, तीनू गोटे प्रतिवादी प्रदीप साह माझी, सञ्जय कुमार साह आ मोहन ठाकुर विरुद्ध किटानी जाहेरी पड़ल, अनुसन्धानके क्रममे तीनू गोटे आरोप स्वीकार कएने तथा इलाजक लेल ल जाइतकाल एम्बुलेन्स चालक सुशील मिश्र आ सङे रहल पप्पु कुमार साह, सियाराम पासवान आ राज कुमार झा अनुसन्धान अधिकृतसमक्ष ओकरासभक संलग्नता पुष्टि करबाक काज कएने उल्लेख कएल गेल अइछ । घटनास्थलके तस्बिरसँ सेहो प्रतिवादी सञ्जय कुमार साह थमन विकपर प्रहार कएने देखल गेल अदालतक आदेशमे उल्लेख अइछ । तहिना, पूर्वसांसद महतो, निलम्बित प्रदेश सभा सदस्य शर्मा, धर्मेन्द्र राय, रामशङ्कर मिश्र, सुरेश पाण्डे आ पवन कापरके हकमे विकपर प्रत्यक्ष प्रहार कएने वस्तुनिष्ट प्रमाण नै भेटल मुदा, जन्मकैद सजाय पौने प्रतिवादीसभक पोलयुक्त बयानक आधारमे ओसभ ज्यान मारबाक काजमे संलग्न रहल देखल गेलासँ मुलुकी ऐनके ज्यानसम्बन्धीके १७(२) नम्बरके कसुर कएने ठहर कएल गेल उल्लेख अइछ । मधेश आन्दोलनक क्रममे बितल २०७२ भादब २५ गते कार्यस्थलके लेल महोत्तरी आएल असई विकके आन्दोलनकारीके माइरपिटसँ मृत्यु भेल जनाओल गेल अइछ ।

रासस

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...