भरत तालमे भेटाएल मृत युवतीके पहिचान भेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही,

सर्लाही जिलाक बागमती नगरपालिका–१२ स्थित भरत तालमे भेटाएल एक गोट युवतीक लाशक पहचान भ’ गेल अछि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक अनुसार मृतक बलरा नगरपालिका–४, बरालगोठ निवासी २० वर्षीया विकुकुमारी सहनी छथि।

बुध दिन मध्यान्ह भरत तालमे संदेहास्पद हालतमे लाश भेटलाक बाद पुलिस अनुसंधान शुरू केलक। तालक कातमे स्थानीय लोकनि शव देखिकय पुलिसके जानकारी देलथिन।

शवक पहचान भेलाक संगहि घटना केर कारण जानबाक लेल पुलिस अपन अनुसंधानक दायरा बढ़ा देने अछि। प्रारम्भिक अनुसंधानक बाद आर तथ्य संग्रह आ आवश्यक कानूनी प्रक्रिया आगाँ बढ़ाओल जा रहल अछि।

सहनीक मृत्यु सं जुड़ल मामला मे पुलिस विभिन्न कोण स’ अनुसंधान क’ रहल अछि आ जल्दिए सत्य तथ्य सार्वजनिक करबाक बात कहल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...