आज्ञा खबर
धनुषा
गणेशमान चारनाथ नगरपालिका–५ के सुरेश राय सालोसँ रहैत आएल जग्गामे घर बनोलैन, खेतीपाती केलैन आ परिवार पालन पोषण केलैन ।
मुदा, एकटा अभाव सैदखन हुनका छलैन ! जग्गाके कानुनी स्वामित्व प्रमाणित करैबला लालपुर्जाके अभाव ।आइ उक्त अभाव अन्त्य भेल छैन । नापी कार्यालय धनुषासँ लालपुर्जा हातमे एलाक बाद हुनक खुसी शब्दमे व्यक्त नै कएल जा सकैय । “हमरासभक पुर्खासँ भोगचलन करैत आएल जग्गाके आइ कानुनी कागज भेटल अइछ । आब अपने सम्पत्तिके प्रमाण हातमे छै।
बैङ्कसँ कर्जा लेबाक लेल, बेटाबेटीके भविष्यके लेल योजना बनाबए आ अन्य कानुनी काज करबाक लेल आसान हएत,” ओ खुसी व्यक्त केलैन । रायजका गणेशमान चारनाथ नगरपालिका–५ आ ६ के ३ सओ २८ परिवार रैबदिन गामब्लक जग्गाके लालपुर्जा प्राप्त केलक । पुस्तोसँ भोगचलन करैत आएल ओकरासभक लेल ई मात्र एकटा कागज नै भ लम्बा समयसँ माँग कएल गेल अधिकारक औपचारिक मान्यता बनल अइछ । स्थानीयवासी अनुसार लालपुर्जा नै भेलासँ जग्गा अपन भेलाक बादो ओकर कानुनी प्रमाण प्रस्तुत करबाक लेल कठिन होइत छल । बैङ्किङ कारोबार, ऋण सुविधा, स्वामित्व हस्तान्तरण तथा अन्य सरकारी सेवामे अनेक समस्या होइत छल।
आब उक्त समस्या अन्त्य होबाक स्थानीयके विश्वास अइछ । नापी कार्यालय धनुषाके प्रमुख उमेश साहके कहब अनुसार वि.सं. २०७० मे नापजाँच भेलाक बादो प्राविधिक आ प्रशासनिक कारणसँ वितरण प्रक्रिया लम्बा समयधैर बन्द छल । आवश्यक कानुनी प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद अखन लाभग्राहीकेँ लालपुर्जा हस्तान्तरण कएल गेल अइछ । नगर प्रमुख जितनारायण यादव पुस्तोसँ भोगचलन करैत आएल नागरिककेँ कानुनी स्वामित्व दिएबाक राज्यके दायित्व भेल बतौलैन । अखनो लालपुर्जा प्राप्त करबाक लेल बाँकी रहल परिवारकेँ सेहो प्रक्रिया पूरा क जल्दी स्वामित्वके प्रमाणपत्र उपलब्ध करेबाक ओ जानकारी देलैन । ––– रासस
