दहेज के विवादमे पत्नी के हत्या कयल अभियुक्त एक बर्षक बाद पक्राईल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
पर्सा

दहेज के कारण पत्नी के हत्या कयने पर्सा जिलाक एक गो टे व्यक्ति के चार बर्षक बाद पुलिस पकरने अछि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक अनुसार वीरगंज महानगरपालिका–७ अलौ निवासी २५ बर्षक साहजिम मियाँ अन्सारी केँ बृहश्पतदिन भोरे विशेष सूचनाक आधार पर पुलिस गिरफ्तार कयलक।

अन्सारी २०७८ साल बैशाख ३ गते अपन २२ बछरक पत्नी रबिना खातून केँ दहेज विषय पर विवाद होए पर कुटपिट कयक हत्या कयने छलाह। घटनाक बाद ओ फरार छलाह।

संबंधित अदालत कर्तव्य ज्यान मामलामे अन्सारी केँ दोषी ठहर कयक एक बर्ष जेल आ १० हजार रूपैया जरिमानाक सजाय सुनौने छल।

फरार रहल अन्सारी केँ पुलिस वीरगंज–१७ अलौमे अपन घर स पकड़लक।
हाल ओकरा विरुद्ध आवश्यक कानूनी प्रक्रिया पूरा कयक पर्सा जिल्ला अदालतमे पेश करबाक तैयारी चलि रहल छै।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...