भूमिहीन आ सुकुमवासीकेँ लालपुर्जा वितरण जारी रहत : मन्त्री रावल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

भूमि व्यवस्था, सहकारी, सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रसाशनमन्त्री प्रतिभा रावल भूमिहीन आ सुकुमवासीके समस्याकेँ समाधान करबाक लेल सरकार उच्च प्राथमिकतासहित काज क रहल बतौलैन अइछ । राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक, २०८३ के परामर्शक क्रममे उठल प्रश्नके जवाब दैत ओ सरकार भूमिहीनकेँ जग्गा देबाक नीति लेने जानकारी देलैन । ओ कहलैन, “सरकार बर्दियासँ लालपुर्जा वितरणके काज सुरु क चुकल छै ।

अइ काजमे बजेटके अभाव नै हएत ।” वैज्ञानिक भूमिसुधार आ उत्पादन केन्द्रित भूमि व्यवस्थापन तथा स्थानीय तहके सुदृढ़ीकरणकेँ उच्च प्राथमिकतासहित सरकार काज क रहल मन्त्री रावल सदनकेँ अवगत करोलैन ।

हुनक कहब अनुसार अखनधैर करिब १२ लाख भूमिहीन आ सुकुमवासीके जग्गा प्राप्तिके लेल निवेदन आएल अइछ । अइ लेल ६१ करोड़ ३० लाख बजेट विनियोजन कएल गेल अइछ ।

सुशासन आ परादर्शिताकेँ महत्व दैत सेवा प्रवाहकेँ नागरिकमैत्री बनाबैत ‘डिजिटल’ रूपान्तरणसँ जोइड़ क काज क रहल जानकारी कराबैत ओ समस्याग्रस्त सहकारीके रकम फिर्ता कार्यक्रम जारी रहबाक बतौलैन । ट्रेड युनियन खारेजीसँ निजामती सेवामे देखाएल विकृति आ विसङ्गति अन्त्य होबाक विश्वास व्यक्त करैत मन्त्री रावल सङ्घीय निजामती ऐन जारी भेलाक बाद प्रशासनिक सङ्घीयता प्रभावकारी होबाक बतौलैन । रासस

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...